गाम मोन परइया
देखs ब्रह्म बाबा
गाम मोन परइया
दुखना कs महीस
ओकर बकड़ी सँगे
दाह गेलि.......
काका जोर-जोर सँs
कहैत छलाह दुखना
दाह गेलि......
देखs ब्रहम बाबा
गाम मोन परइया
कोशी कमला बलान
सब सँगे खिसिया गेलि s
धान , मुरही आ दवाई
रस्ता सब सँगे दाह गेलि
सगरो जले जल देख
आब हमहुँ मताs गेलि
माँ बाप कs सँग
कनिया सँ परा गेलि
गाम मोन पराइया
देखs ब्रहम बाबा
गाम मोन पराइया
✍️ सुभाष कुमार
No comments:
Post a Comment